स्वागत

Wednesday, November 17, 2010

मैथिली फिल्म सिनुरिया केर संगीत जारी भेल

मैथिली फ़िल्म सिनुरिया केर ऑ़डियो-वीडियो सीडी के काल्हि लोकार्पण भेल। एहि अवसर पर मधुबनी मे युवराज होटल में कार्यक्रम आयोजित कएल गेल छल। कार्यक्रम मे,मैथिली अकादमी केर पूर्व निदेशक देवकांत झा आ पूर्व न्यायाधीश सच्चिदानंद झा कहलन्हि जे एहि फिल्म केर निर्माण कए आयुष्मान फिल्म्स मीडिया आ प्रोडक्शन हाउस साहसिक काज कएलक अछि आ एहि पहल सं मैथिली भाषा मे फ़िल्म निर्माण के नव दिशा भेटतैक । कला केर उपयोगिता आ महत्ता को रेखांकित करैत देवकांत झा कहलनि जे फिल्म सिनुरिया केर नामकरणे बतबैत छैक जे ई सिनेमा एहि ठामक सभ्यता-संस्कृति सं जुड़ल छैक।

फिल्मक निर्माता मंजेश दुबे एहि अवसर पर लोक सभ सं अपील कएलनि जे अप्पन भाषाक एहि फ़िल्म कें सुपरहिट बनाऊ। फिल्म के सह-निर्माता बीएन चौधरी कहलनि जे छह गीत सं सुसज्जित एहि सीडी में सभ मूड के गाना छैक। आवश्यकता छैक तं इएह जे एकरा प्रोत्साहित कएल जाए। लोकार्पण समारोह मे संगीतकार ज्ञानेश्वर दुबे विद्यापति केर गीत गाबि श्रोतालोकनि कें मंत्रमुग्ध क देलनि। एहि अवसर पर ज्योति रमण झा बाबा, अभिराज झा, जटाधर झा आ फिल्म के वितरक अजय यश सेहो उपस्थित छलाह।

No comments:

Post a Comment

न मॉडरेशन की आशंका, न ब्लॉग स्वामी की स्वीकृति का इंतज़ार। लिखिए और तुरंत छपा देखिएः